"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Wednesday, July 8, 2015

दिल्ली में होयत विद्यापति स्‍मृति व्‍याख्‍यानमालाकें शुरुवात

मैथिली साहित्यक इतिहास में नव अध्यायकें जोड़ैत मैथिली साहित्य महासभा दिल्ली द्वारा विद्यापति स्‍मृति व्‍याख्‍यानमाला शुरुवात कायल जायत. आगामी 2 अगस्‍त 2015 कें स्‍पीकर हॉल, कॉन्‍सटिट्यूशन क्‍लब, नई दिल्‍ली मे होमय बला प्रथम विद्यापति स्‍मृति व्‍याख्‍यानमाला सम्बंधित व्‍यवस्‍था-बैसार बुधदिन कॉफी हाउस, कनॉट प्‍लेस, नई दिल्‍ली मे संपन्‍न भेल. प्रथम विद्यापति स्‍मृति व्‍याख्‍यानमाला में पद्मश्री डा. उषा किरण खाँ केर व्याख्यानमालाक विषय मिथिलाक नारी नहि छथि बेचारी” रहत. श्रीमती सुधा झा केर अध्यक्षता में भेल बैसार में कार्यक्रम सम्बंधित विभिन्न विषय पर विस्तारसं चर्चा भेल. अहि बैसार में श्री संजीव सिन्हा, अमरनाथ झा, सुशांत झा, हेमन्त झा, विमल जी, अमित चौधरी, अमिताभ भूषण, कांत शरण, सोनु मिश्रा, शिवानन्द सहर आ रामचंद्र झा उपस्थित छला.