"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Saturday, July 13, 2013

मिथिला में उपेक्षित भ रहल अछि मैथीली भाषा: मीरा कुमार

समस्तीपुर: लोकसभा अध्यक्ष मीरा कुमार आईे राष्ट्रीय साहित्य संगोष्ठीक उदधाटन समस्तीपुर में करैत कहली की मिथिलाक लोग मैथिली भाषाक उपयोग करै में आखिर किएक हिचकिचाई छथि? ओ कहलैनि जे संसद भवन में हम इंतजार करैत रहैत छी जे कोनो सांसद मैथिली भाषा में बजता. संविधानक 22 भाषा में मिथिलाक मैथिली बहुत लोकप्रीय भाषा अछि। श्रीमति कुमार कहलैनि की हम बिहार सँ छी अहि राज्य सँ आ खास कय मिथला सँ हमरा बेसी जुडाव अछि। अहि धरती पर एकसँ बढ़ी कय एक महान विभूति विद्यापति , वाचस्पति, मंडन मिश्र, कालिदास समेत अनेको विद्वान जन्म लेलैथि। मिथिलाक घरती बहुत उपजाउ अछि। आ इ धरती उर्जावान धरती सेहो अछि। मिथिला में सत्याग्रह आदोंलनसँ लय क देशक आजादी में मिथिलाक लोगक अहम भुमिका अछि। मुदा अहिक बाबजूद आई मैथिली भाषाक लेल कोनो कारगर कदम अहि क्षेत्रक जनप्रतिनिधिक द्वारा नही उठायल जा रहल  अछि जे चिंता केर विषय अछि।मातृभाषा बेसी अहि क्षेत्र में हिंदी के प्रयोग भ रहल अछि। सभा केर अध्यक्षता प्राचार्य डाक्टर मीणा प्रसाद केलैनी जहैनी की मंचक संचालन शशि केलैनी। 

Thursday, July 4, 2013

पद्मश्री महासुंदरी देवी केर निधन

मधुबनी 04 जुलाई (वार्ता) बिहारक मधुबनी पेटिंग केर देश विदेश मे लोकप्रिय बनावई वाली पद्मश्री महासुंदरी देवीक हुनक पैतृक गांव मे आई निधन भ गेलैनी . ओ 92 वर्षक छली. महासुंदरी देवीक पारिवारक सूत्र केर अनुसार ओ पिछला किछ महिना सँ बीमार चल रहल छलथि आ आई भोर साढ़े नौ बजे हुनक निधन भ गेलैनी. हुनक अंतिम संस्कार कालि कायल जायत. महासुंदरी देवी अपन अंतिम दिन मे मधुबनी जिला केर  राजनगर थाना क्षेत्र  स्थित अपन पैतृक गांव रांटी में रही रहल छलथि। हुनका पद्मश्रीक अलावा शिल्प गुरु, तुलसी सम्मान आ  राष्ट्रीय..राजकीय पुरस्कार समेत अनेको सम्मान भेटल छल। हुनका द्वारा निर्मित मिथिला पेटिंगक मांग देशक अलावा विदेश मे सेहो खूब छल। मिथिला पेटिंगक सिलसिला मे सुंदरी देवी अनेको देशक दौरा सेहो कय चुकल छलथि।