"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Sunday, December 27, 2009

न‌या स‌दी ह‌म‌रा स‌ब‌ कॆ लॆल‌ र‌ह‌त‌ आऒर‌ अहि स‌दी मॆ ह‌म‌ दुनिया कॆ नाय‌क‌ ब‌न‌व‌!

2009 सॆहॊ बीत गॆल हम सब आब नया दशक मॆ पैर राखि रहल छी! ई दशक कॆहॆन रहत सॆ त आबै वला समय बतायत! 2009 हमरा सब लॆल लगभग नीकॆ रहल! गिरैत बाजार अहि बॆर सम्हरल त लगातार आतंक कॆ मारि स जुझैत हम सब अहि साल आतंकी कॆ कॊनॊ भयानक हातशा नहि दॆखलऊ मुदा ई कहिनाई उचित नहि जॆ हमर सुरक्षा तंत्र मजबुत अछि जकर प्रयास स आतंकवादी कॊनॊ घटना कॆ अंजाम नहि द सकल!

2008 मॆ आर्थिक तंगी स हम सब गुजरि रहल छलऊ मुदा 2009 एक बॆर भॆर स बाजार कॆ लॆल रौनक अनलक! मुदा आम आदमी जॆ 2008 मॆ 15 स 20 रुपयॆ चीनी खाईत छल अहि साल ऒकर दाम 45 स 50 रुपया प्रति किलॊ भ गॆलै! ई रॆट कॊनॊ चीनीयॆ टा कॆ नहि लगभग दैनिक उपयॊग मॆ अबै वला हर सामान कॆ किमत किछु अहिना बढल अछि! मंहगाई स जुझि रहल जनता त्राहि त्राहि क रहल अछि त सरकार चुपचाप मुखदर्शी बनल अछि!

2009 मॆ हम सब दॆश लॆल एकबॆर फॆर सं कांग्रॆश कॆ सत्ता मॆ अनलऊ बहुत आशा आऒर विश्‍वास कॆ संग! अहि साल आधा दर्जन स बॆसि राज्य मॆ विधानसभा चुनाव भॆल किछु ठम त कांग्रॆश सता मॆ आयल त किछु ठम बहुत नीक प्रदर्शन कएलक! राहुल कॆ फार्मुला स कांग्रॆश कॆ नीक फायदा भॆट रहल छै त ईम्हर वीजॆपी अपन भविष्य कॆ डीबीया ल क ताकि रहल अछि! वीजॆपी कॆ सब लाईट आ बल्ब फ्युज भ रहल छै त आब ऒ डीबीया कॆ खॊजी क अनलक अछि!

साल 2009 भारत कॆ क्रिकॆट कॆ लॆल सॆहॊ बहुत सुंदर रहलैया अहि साल टीम वनडॆ मॆ नहि ब्लकि टॆस्ट क्रिकॆट मॆ सॆहॊ अपन पताका लहरा दॆलकै अछि! आ पहिल वॆर टीम इंडिया टॆस्ट आ वनडॆ रैंकिग मॆ नम्वर 1 पर पहुचलए! त‌ साल‌ 2009 भार‌त‌ कॆ म‌नॊरंज‌न‌ उधॊग‌ कॆ लॆल‌ सॆहॊ ब‌हुत‌ नीक र‌ह‌लै!

2010 न‌या स‌दी ह‌म‌रा स‌ब‌ कॆ लॆल‌ र‌ह‌त‌ आऒर‌ अहि स‌दी मॆ ह‌म‌ दुनिया कॆ नाय‌क‌ ब‌न‌व‌!